भागलपुर मे ऑपरेशन के बाद मरीजक पेट मे कपड़ा छोड़लक डॉक्टर

    0
    299

    भागलपुर, मिथिला मिरर: बिहारक भागलपुर मे डॉक्टरक बहुत पैघ लापरवाही प्रकाश मे आयल अछि। दरियापुरक संगीता देवी के ऑपरेशन के दौरान महिला डॉक्टर मरीजक पेट मे कपड़ा छोड़ि देलक, जाहि सं महिलाक स्थिति गंभीर बनल अछि।

    परिजन महिला के इलाजक लेल मायागंज अस्पताल मे भर्ती करौने अछि। जवाहरलाल नेहरू चिकित्सा महाविद्यालय अस्पताल (जेएलएनएमसीएच) के चिकित्सकक रिपोर्ट मे सेहो कपड़ा या कोनो चीज हेबाक खुलासा भेल अछि।

    अहि घटनाक बाद महिलाक स्थिति गंभीर भेल जा रहल अछि। ऐहेन मे अस्पतालक चिकित्सक महिला के पटना मेडिकल कॉलेज एवं हॉस्पीटल (पीएमसीएच) रेफर कय देलक अछि।