मधुबनी मे कलयुगी भाई केलक चारि सालक बहिनक संग दुष्कर्म

    0
    258

    मधुबनी, मिथिला मिरर: बिहार मे मानवताक सबटा हद पार करैत एकटा कलयुगी भाई अप्पन चारि सालक बहिनक संग दुष्कर्म के घटना के अंजाम देलक अछि। घटना मधुबनी के लदनिया थाना क्षेत्रक कामेपट्टी गामक अछि।

    बीकॉम मे पढ़य वला 22 साल चचेरा भाई चारि सालक बहिन के अप्पन हवस के शिकार बना देलक। बताओल जा रहल अछि जे, आरोपी युवक बच्ची के खेलेबाक बहन्ने घर लय गेल छल। किछु समय बाद जहन लोक बच्चीक कनबाक आवाज सुनलक त भाईयक घिनौना हरकत के भंडाफोड़ भेल।

    हल्ला सुनि कय मौका पर जुटल ग्रामीण युवक के पकड़ि कय पुलिसक हवाले कय देलक अछि। फिलहाल बच्ची के इलाजक लेल अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि, जतय बच्चीक स्थिति गंभीर बनल अछि।