एमएसयू केलक झमटगर लौंग मार्च

0
357

नई दिल्ली, मिथिला मिरर: उत्तर बिहारकेँ 20 जिलाक एकटा अलग मिथिला डेवलपमेंट बोर्डक मांग ल’ एमएसयू दिल्लीमे मंडी हाउससँ  संसदमार्ग धरि झमटगर लौंग मार्च कएलक। एमएसयू मांग क’ रहल अछि जे बंद पड़ल कल-कारखानाके दुबारा चालू , बाढ़ि आ सुखार जेहन समस्याक स्थायी समाधान लेल एकटा अलग कमीटीक गठन, हरेक जिलामे स्पेशल एजुकेशन जोन, आइआइएम, आइआइटी आ एम्सक स्थापनाक लेल प्रदर्शन केलथि।  मिथिला स्वतः सेपरेट डेवलपमेंट बोर्डक लेल अधिकारी अछि मुदा शुरूसँ एहि क्षेत्रके राजनितिक-आर्थिक-सामाजिक रूपसँ उपेक्षित राखल गेल। एहि हालातकेँ  बदलबाक लेल 5  अगस्तकेँ  “मिथिला स्टूडेंट यूनियन” दिल्लीमे मंडी हॉउससँ संसद मार्ग धरि लौंग मार्च केलक। हज़ारोकें संख्यामे एमएसयू कार्यकर्ता बिहारसँ आबि एहि प्रदर्शनमे भाग लेलाह।  लॉन्ग मार्चक समर्थनमे दिल्ली-एनसीआरसँ सेहो विभिन्न संस्थाक लोकसभ आबि अपन समर्थन देलाह।   निश्चित रुपें एमएसयू  मिथिलावादके नारा बुलंद कएलनि। एहि धरना प्रदर्शनकें एमएसयूक राष्ट्रीय पदाधिकारी लोकनि संबोधित केलाह आ पांच सदस्यीय प्रतिनिधि मंडल अपन माँगक ज्ञापन राष्ट्रपति, प्रधानमंत्री आ गृहमंत्रीके सौंपलनि।