वामदल केँ तेजस्वीक नेतृत्व मंजूर, सीट बँटवारा पर सेहो बनल सहमति

0
951

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे चुनाव तारीख केँ ऐलानक बाद सँ राजनीतिक हलचल हरेक राजनीतिक दल मे बढ़ी गेल अछि। बिहारक दुनू प्रमुख गठबंधन मे सीट बँटवारा केँ ल’ माथापच्ची कएल जा रहल अछि। घटक दलक माँग पर प्रमुख दल मे सेहो राय विचार शुरू भ’ रहल अछि। दुनू गठबंधन मे बातचीतक दौर अंतिम चरण मे चलि रहल अछि। एक दिस जहाँ महागठबंधन मे सीट आ नेतृत्व केँ ल’ घटक दल नाराज चलि रहल अछि ओही बीच एकटा खबरि राजद केँ लेल राहत देलक अछि। खबरि अछि जे महागठबंधन मे शामिल वामदल तेजस्वीक नेतृत्व स्वीकार क’ लेलक अछि।  सीपीएम, सीपीआई, सीपीआई एमएल तीनू हामी भरि देलक जे तेजस्वी यादव मुख्यमंत्री केँ चेहरा रहताह। चुनाव हुनके नेतृत्व मे लड़ल जायत। बतादी जे राबड़ी आवास पर वामदल संग बैसार भेल आ सीट बँटवारा तक तय भ’ गेल। हालाँकि कतेक सीट पर सहमति बनल एकर खुलासा अखन नहि कएल गेल अछि।

एहि पूरा मामला पर मीडिया सँ बात करैत राजदक प्रदेश अध्यक्ष जगदानंद सिंह कहलनि जे वाम दल तेजस्वीक नेतृत्व मे चुनाव लड़त। सीट हिस्सेदारी सेहो तय क’ देल गेल जाहि पर तीनू घटक दल सहमति देलनि अछि। कतेक सीट पर सहमति बनल एकर घोषणा उम्मीदवारक नामक संग एकेसंगे कएल जायत। जानकारी दैत सिंह कहलनि जे महागठबंधन सभ सीट पर घटक दलक उम्मीदवारक संग घोषणा करत। वीआईपी आ कुशवाहा पर पूछल गेल प्रश्नक कोनो जबाब नहि देलाह।