तेजस्वीक बयान पर शाहनवाज हुसैनक तंज, लालू काल मे होइत छल ममता कुलकर्णीक चर्चा

0
820

पटना, मिथिला मिरर : बिहार चुनावी रंग मे रंगल जा रहल अछि। सियासत केँ बीच आब जुबानी जंग सेहो तेज भेल जा रहल अछि। वार पलटवार केँ दौर मे कियो ककरो सँ पाछू रहबाक मूड मे नहि अछि। तेजस्वी द्वारा कहल गेल छल जे भाजपा चुनाव मे सुशांत सिंह राजपूत आ कंगना पर राजनीति क’ रहल अछि। जनता केँ मुद्दा सँ भटकेबाक प्रयास कएल जा रहल अछि। एनडीए अपन सरकारक विफलता केँ छुपेबा लेल हीरो-हीरोइनक सहारा ल’ रहल अछि। एहि पर प्रतिक्रिया दैत भाजपाक राष्ट्रीय प्रवक्ता शाहनवाज हुसैन कहलनि अछि जे विपक्ष अपन दिन बिसरि चुकल अछि। लालू काल केँ याद दियाबैत पूछलनि जे लालू-राबड़ीक कालखंड मे त’ ममता कुलकर्णी केँ बात होइत छल। बिसरी गेला जे सड़क केँ तुलना हेमा मालिनी केँ गाल सँ करैत छलाह लालू। सभसँ पैघ बात जे मुद्दा विहीन विपक्ष किछु त’ बाजत। आखिर सुशांत सिंह राजपूत आ कंगना रनौत केँ न्याय भेट सकै ओही लेल भाजपा लगातार आवाज उठा रहल अछि त’ राजदक पेट मे दर्द किएक होइत अछि।

जनतब दी जे चुनाव प्रचार के दौरान एहि तरहक वाद-विवाद आब होइत रहत। शाहनवाज आई सीमांचल क्षेत्र मे प्रचार क’ रहल छलाह। किशनगंज मे मीडिया सँ बात करैत कहलाह जे  एहिबेर सीमांचल मे सेहो कमल खिलत। हम नरेंद्र मोदी आ नीतीश कुमार द्वारा कएल गेल विकासक नाम पर चुनाव मे जायब आ मतदाता लोकनि सँ विकास लेल मेहनताना माँगब। ओतहि ओवैसी पर हमला करैत कहलनि जे बिहारक मुसलमान आपसी भाईचारा सँ रहैत छथि। आपसी टकराव एतय केँ खून मे नहि अछि। सांप्रदायिक सौहाद्र पसंद करै वला लोक केँ सामाजिक सौहार्द बिगाड़बाक कोनो अधिकार नहि अछि आ जनता चुनाव मे हुनका खाली हाथ वापिस भेज देत। बतादी जे मुस्लिम बाहुल्य क्षेत्र हेबाक कारण ओवैसीक पार्टी एतय सँ चुनाव लड़बाक घोषणा क’ चुकल अछि।