दिल्ली सँ बैरंग वापिस भेलाह उपेंद्र कुशवाहा! रालोसपाक भविष्य पर सधलनि चुप्पी

0
903

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे चुनावी बिगुल बजलाक बाबजूद रालोसपा आधार मे लटकल अछि। एहन लागि रहल अछि जे बिहारक दुनू गठबंधन मे कियो भाव नहि द’ रहल अछि। महागठबंधन मे सेहो बात नहि बनि रहल अछि। दू दिन पूर्व एनडीए मे शामिल हेबाक खबरि केँ खंडन करैत कहलाह जे हमरा मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ भाजपा प्रभारी भूपेंद्र यादव सँ कोनो तरहक बात नहि भेल अछि। एहन मे मीडिया अपना-अपना हिसाब सँ खबरि चला रहल अछि जे ठीक नहि अछि। बतादी जे अखन धरि महागठबंधन सँ अलग हेबाक ऐलान रालोसपा आधिकारिक रूप सँ ऐलान नहि कएलक अछि। एहन मे अटकलक बजार गर्म अछि जे रालोसपा तेसर मोर्चा बना सकैत अछि। हालाँकि सियासी किछु पंडित लोकनि केँ कहब छनि जे अंतिम विकल्पक रूप मे पप्पू यादव संग सेहो हाथ मिला सकैत छथि। जनतब होयत जे रविदिन पप्पू यादव रालोसपा केँ ल’ बयान देने छलाह जे महागठबंधन मे कुशवाहा जीक अपमान भ’ रहल छनि।

पटना एयरपोर्ट पर कुशवाहा  कहलनि जे पार्टीक लोक सभ हमरा अधिकृत कएलनि अछि कोनो फैसला लेबाक लेल। तैं सोची विचार क’ कोनो तरहक फैसला लेल जायत आ जे किछु फैसला करब मीडिया संग साझा करब। राजद केँ बारे मे पुछला पर कोनो तरहक प्रतिक्रिया नहि देलनि। एतबे नहि एनडीए मे जेबा पर कहलाह अगिला दू तीन दिन मे सभ किछु फैसला ल’ लेल जायत। जनतब दी जे महागठबंधन मे राजद आ खास क’ तेजस्वी, कुशवाहा केँ कोनो भाव नहि द’ रहल छथि जाहि कारण कुशवाहा नाराज चलि रहल छथि। हालाँकि महागठबंधनक प्रमुख घटक दल कांग्रेस कुशवाहा केँ मनाबैक कोशिश मे लागल अछि। चुकी आब समय नजदीक आबि रहल अछि तें हरेक दल मे सीट केँ ल’ बैचेनी बढ़ल जा रहल अछि। अगिला दू तीन दिन मे स्पस्ट भ’ जायत जे कुशवाहा कोन दिशा मे अपन नाव केँ खेबता। हालाँकि एहनो खबरि आबि रहल अछि जे कुशवाहाक पार्टी रालोसपा महागठबंधन मे रहत। राजद हुनका संग कोनो डील नहि करत। कांग्रेस अपन कोटा सँ कुशवाहा केँ सीट द’ सकैत अछि।