मिथिला पेंटिंग के लेल बौआ देवी के पद्मश्री सम्मान

    0
    435

    दिल्ली, मिथिला मिरर: मिथिला पेंटिंग के क्षेत्र मे उत्कृष्ट काज करबाक लेल बौआ देवी के पद्मश्री पुरस्कार 2017 सं सम्मानित करबाक निर्णय लेल गेल अछि। बौआ देवी मधुबनीक जीतबारपुर गामक निवासी छथि, जिनका अहि पुरस्कार सं पहिने राष्ट्रीय आ राज्य स्तरीय पुरस्कार सं सम्मानित कायल जा चुकल छन्हि।

    ज्ञात हो कि बौआ देवी मिथिलाक पांचम महिला छथि जिनका पद्मश्री सम्मान सं सम्मानित कायल जा रहल छन्हि। हिनका सं पहिने मिथिला पेंटिंग के क्षेत्र मे सीता देवी आ महासुंदरी देवी के अहि सम्मान सं सम्मानित कायल गेल अछि। संगहि गायिकी के क्षेत्र म शारदा सिन्हा तथा साहित्य के क्षेत्र मे उषा किरण खान के अहि सम्मान सं सम्मानित कायल जा चुकल अछि।

    किछु दिन पहिने बौआ देवी द्वारा बनाओल गेल मिथिला पेंटिंग के प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी अप्पन विदेश यात्राक क्रम मे हैनोवर’क मेयर के भेंट स्वरुप देने छलाह।