बिहार परिवहन मंत्री केलनि मुजफ्फरपुर मे सिटी बस सर्विसक शुरूआत

    0
    310

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहार राज्य पथ परिवहन निगम मंगलदिन सं मुजफ्फरपुर मे नगर बस सेवाक शुरूआत केलक अछि। परिवहन मंत्री चन्द्रिका राय आ विभागक प्रधान सचिव सुजाता चतुर्वेदी बीएस के हरी झंडी देखाकय विभिन्न रूटक लेल सिटी बस के रवाना केलनि। निगम दिस सं फिलहाल कुल 90 बसक आवागमन के लेल देल गेल अछि। जाहि मे 50 बस मुजफ्फरपुर नगर सेवाक लेल आ शेष 40 बस प्रमंडलक दोसर जिला मे चलाओल जायत।

    सूबेक परिवहन मंत्री चंद्रिका राय कहलनि जे, सस्ता आ सुरक्षित यात्राक लेल नब बस काफी उपयोगी होंयत। ओ कहलनि जे, महिलाक लेल विशेष रूप सं सुरक्षित यात्रा अहि बस सं भय सकैत अछि। उदघाटन के मौका पर मुजफ्फरपुर के डीएम धर्मेन्द्र सिंह सेहो उपस्थित छलाह।