कमालपुर वार्ड नंबर 9 सं जनताक विश्वसनीय नेता छथि ‘तपन झा’

    0
    297

    दिल्ली, मिथिला मिरर-शिवेश झा: राजनीति कतहुकें हो, मैथिल नेताक सक्रियता आ तत्परता सदैव आकर्षित करैत रहल अछि, आ बात यदि देशक राजधानी दिल्लीक हो त बाते की? दिल्लीक राजनीतिमे पूर्वांचली आ कि खास कए मैथिल जनमानसकेँ अनदेखा नहि कएल जा सकैत अछि। एकरे परिणाम अछि जे आए लगभग दर्जन भरि विधायक दिल्ली सचिवालयमे मिथिलाक आवाज बुलंद कए रहल छथि।

    दिल्ली नगर निगम चुनावमे सेहो तमाम पैघ राजनितिक पार्टी पूर्वांचली वोटक लोभमे बिहारीकें खास मैथिलकें खुलि कए टिकट बँटलक अछि। एहने एकटा मैथिल प्रत्यासी छथि तपन झा। तपन झाकेँ सक्रियताकेँ देखैत राष्ट्री कांग्रेस पार्टी कमालपुर वार्ड संख्या 9 सं अप्पन प्रत्याशी घोषित केने अछि।

    तपन झा मूल रूप सं कारोबारी छथि, संगहि सदैव कांग्रेस पार्टीक समर्पित कार्यकर्ता रहलाह। दिल्लीक संतनगर बुराड़ी इलाकामे रहए वला तपन झा सामाजिक काजमे खूब रुचि रखैत छथि, आ सामाजिक स्तर पर लोकक मददि करबामे कखनहुँ पाछु नहि रहैत छथि। दिल्लीमे मिथिला-मैथिली सं जुड़ल तमाम कार्यक्रममे हिनकर सहभागिता सराहनीय रहैत छन्हि।

    तपन झा कहैत छथि, क्षेत्रक जनताक सेवामे हम पिछ्ला 25 साल सं सक्रिय छी, अप्पन क्षेत्र आ सामाजक प्रति उत्तरदायी हमरा लेल सब सं बढ़ि कए अछि। अहुना समाजक लेल काज करबाक लेल सदैव तत्पर तपन झा सफाई, स्वास्थ्य, शिक्षा आ बेरोजगारीकें अप्पन मुख्य प्राथमिकता मानि रहल छथि।

    तपन झा कहैत छथि, पं. खुशहाल शर्मा एवं अपन क्षेत्रक समस्त कार्यकर्ता तथा जनताक आशीर्वाद सं एतय धरि एलहुँ, एतए धरि आबएमे जे स्नेह भेटल अछि ओकरा लेल हमरा लग शब्द नहि अछि। तपन झा कहैत छथि, समस्त क्षेत्रवासी, सहयोगी आ पार्टीक समस्त श्रेष्ठ नेताक आभार जे, हमरा पर विश्वास कए ई मौक़ा देलनि। हम अहि विश्वास आ प्रेमक जीवनभरि आभारी रहब तथा क्षेत्रक विकास कए अहि विश्वासकें सदैव बनेबाक चेष्टा करब।