दरभंगामे भोगेंन्द्र झा सम्मान सं सम्मानित भेलाह मैथिली पुत्र प्रदीप

    0
    329

    दरभंगा,मिथिला मिरर-मणिकांत झाः मिथिलाक जन जन के ठोर पर रचल बसल गीत ” जगदम्ब अहीँ अवलम्ब हमर हे माय अहाँ बिनु आश ककर ” केर रचयिता मिथिलाक संत कवि मैथिली पुत्र प्रदीप केँ काल्हि दरभंगा मे भोगेन्द्र झा सम्मान सँ सम्मानित कयल गेलनि अखिल भारतीय मिथिला संघ दिल्लीक अध्यक्ष विजय चंद्र झा केर अध्यक्षता मे आयोजित समारोह मे कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय केर कुलपति डा देवनारायण झा प्रदीप जी केँ ई सम्मान प्रदान कैलनि। एकरा अंतर्गत हिनका पाग, दोपटा, माला, प्रशस्ति पत्र, स्मृति चिन्हक संग ५१०० टाकाक चेक समर्पित कयल गेलनि ।
    डा भीमनाथ झा द्वारा विशिष्ट शैली मे लिखल अभिनंदन पत्र सेहो प्रदीप जी केँ सम्मान मे पढ़ल गेल। एहि अवसर पर डा ब्रजमोहन मिश्र , डा प्रेम मोहन मिश्र , डा धर्मेन्द्र कुमर, रामकुमार झा ,डा हेमचँद्र झा सहित अनेक गणमान्य मंचासीन छलाह । सीतायनक सभागार मे आयोजित एहि सम्मान समारोह मे वक्ता लोकनि प्रदीप जीक कृतित्व ओ व्यक्तित्व पर विस्तार सँ प्रकाश देलनि । अपना उद्बोधन मे प्रदीप जी संस्थाक प्रति आभार प्रदर्शित कयलनि ।