हावीभौआरमे स्थिति सामान्य, पहिने जेना सजए लागल बाजार

    0
    280

    दरभंगा, मिथिला मिरर: हावीभौआर गाममे घटल घटनाकें पांच दिन बाद आब धीरे-धीरे स्थिति सामान्य भेल जा रहल अछि। हावीभौआर गांव स्थित नरसिह चौक पर बुधदिन दोकानदार अपन-अपन दोकान खोललनि।

    धरौड़ा-हावीभौआर मुख्य पथ पर आब पहिने जेना सुचारू रूप सं आवागमन शुरू भए गेल। लोग अपन-अपन घर सं निकलि कए काज पर जाए लगलाह। हालांकि एखनहु हावीभौआर आ अहियापुर गामक लोकमे शांति व्यवस्थाक लेल एसडीओ अमित कुमार आ डीएसपी अंजनी कुमारक नेतृत्वमे पुलिस बल घटनास्थल पर कैंप कए रहल अछि।

    एसडीओकें अनुसार स्थिति धीरे-धीरे सामान्य भेल अछि। मुदा जा धरि पूर्ण रूप सं शांति-व्यवस्था बहाल नहि होएत ता धरि पुलिस घटनास्थल पर कैंप करैत रहत। ओतहि दोसर दिस बेनीपुरके पूर्व विधायक महेन्द्र झा आजाद आ कांग्रेसक वरिष्ठ नेता गजेन्द्र झा गज्जू गाममे घूमि कय लोककेँ शांति व्यवस्था बनेबाक तथा आपसी सदभावना एवं भाईचाराके माहौलमे पहिने जेना रहबाक अपील केलनि।