दोषी व्यक्तिक गिरफ्तारी नहि भेला पर आन्दोलनक चेतावनी देलनि विधायक

    0
    266

    सुपौल, मिथिला मिरर: होली सं एक दिन पूर्व सांप्रदायिक तनाव सं उपजल हालातक जानकारी लेबाक लेल पहुँचल विधायक नीरज कुमार सिंह ‘बबलू’ क्षेत्रमे अहि तरहक घटना पर चिंता व्यक्त केलनि। मुख्यालय स्थित सूरज चंद्र प्रकाशके आवास पर ‘बबलू’ स्थानीय गणमान्य सहित पार्टी नेता आ कार्यकर्ताक संग बैसक केलनि। बैठकके दौरान घटनाक शिकार भेल राहगीर सहित पीड़ित पक्षक लोक सं विस्तृत जानकारी लैत पुलिस आ प्रशासन द्वारा कार्रवाई नहि करबा पर चिंता व्यक्त केलनि।

    ओ कहलनि जे, मामूली बात पर भेल झगडाकें साम्प्रदायिक रंग देल जाइत अछि, जे समाजक लेल चिंताक विषय अछि। ओ कहलनि जे, पुलिस प्रशासनकें अहि प्रकारक घटना पर अंकुश लगेबाक पहल करबाक चाही।

    ओ कहलनि जे, माइट काटबा सं मना करबा पर दू पक्षक बीच भेल हिंसक घटनाके लेल दोषी व्यक्तिक गिरफ्तारी तीन दिनक भीतर प्रशासन सुनिश्चित करेए। अन्यथा चरणबद्ध आंदोलन शुरू करबाक लेल रणनीति तैयार कय लेल गेल अछि।