भाजपाक पूर्वांचल प्रकोष्टमे व्यापक फेरबदल अमरनाथ झा बाहर, शरत झा अंदरः सूत्र

    0
    237

    दिल्ली-मिथिला मिररः भारतीय जनता पार्टीक पूर्वांचल प्रकोष्ट सँ एकटा नव खबरि आबि रहल अछि। सूत्रक मानी तऽ नवगठित टीममे अमरनाथ झाकेँ जगह शरत झाकेँ जगह देल जा सकैत छन्हि। अहि बातक पुष्टि बुधदिन हेवाक संभावना अछि। अहि सं पूर्व अमर नाथ झा पूर्वांचल प्रकोष्टमे लगातार दू बेर सँ पद पर बनल छथि।
    लेकिन किछु अंतर विरोधकेँ कारणेँ अहि बेर अमर नाथ झाकेँ नव टीममे जगह नहि देल गेलनि अछि। सूत्रक मानी तऽ अहि बेर सेहो अपन कुर्सी बचेवाक लेल अमर नाथ बहुत बेसी जोर लगेने छलाह मुदा अहिमे असफल रहला। ज्ञातव्य हो कि मिथिला मिरर एखन धरि अहि विषय पर नहि तऽ अमर नाथ झा सँ हुनक पक्ष जनलक आ नहि शरत झा सँ कोनो बातचीत केलक अछि।