पिकअप वैन के ठोकर सं कांवरियाक मौत

    0
    273

    मधुबनी, मिथिला मिरर: झंझारपुर थाना क्षेत्रक मोहना के समीप कमला बलान नदी सं जल भरि कय जा रहल एकटा कांवरिया के पिकअप वैन ठोकर मारि देलक। घायल अवस्था मे कांवरिया के इलाजक लेल अनुमंडल अस्पताल भेजल गेल मुदा रेफर हेबाक बाद कांवरिया के मौत भय गेल।

    सूत्रक अनुसार मृतक फुलपरास थाना क्षेत्रक सुदै रतोली पंचायतक द्वारम निवासी सत्य नारायण पूर्वे के पुत्र विनोद कुमार पूर्वे बताओल जा रहल अछि।

    एम्हर घटना के बाद पिकप लय कय ड्राइवर भगबाक प्रयास केलक मुदा लोकक भीड़ ड्राइवर के पकड़ि कय पुलिसक हवाला कय देलक। घटना के बाद पुलिस पिकप वैन के जब्त कय चालक के गिरफ्तार कय लेलक। चालक समस्तीपुर जिला के बारिशनगर निवासी मनजीत कुमार बताओल जा रहल अछि।