शहीद विकाश मिश्रक यादमे युवा लोकनि निकाललाह शांति मार्च

    0
    284

    दिल्ली-मिथिला मिररः ‘जब तक सुरज चांद रहेगा, विकाश भैया तेरा नाम रहेगा’ जी हां, बृहस्पतिदिन बेरू पहर किछु एहने करूण आ बुलंद आवाज सं मधुबनी जिलाक रैयाम आ आसपासक गाम गुंजयमान होइत रहल। बृहस्पतिदिन बेरू पहर अधिकाधिक संख्यामे स्थानीय युवा एकत्रित भए शहीद विकाश कुमार मिश्रक स्मरणमे रैयाम सं रूपौली, हैठीबाली, पट्टीटोल सं कोठीया होइत पुनः रैयाम अर्थात रैमा तक ऐलाह।
    जाहिठाम सं इ रैली निकलल होइठाम लोकक आंखि नोर सं डबडबा गेल। चेहरा पर चिंताक भावक संग-संग गर्वक एहसास सेहो देखल गेल कि हुनका क्षेत्रक एकटा बच्चा देशक लेल अपन बलिदान दए हुनका लोकिनक सीना गर्व सं चौड़ा कए देलकनि। ओना त सब कियो अपन माता-पिता आ जन्म भूमिकक ऋण लए अहि धरती पर आवैत अछि मुदा अहि सं पैघ कि बात भए सकैत छैक जखन कियो सपूत अपन बलिदान देशकें लेल दय चिरकालक लेल अमर भए जाइत अछि।
    माए-बापक लेल अहि सं बेसी दुःखक गप्प कोनो नहि होइत छैक जे अपना जिवैत अपन बेटाक अर्थी देखय मुदा जखन बेटाक अर्थी राष्ट्रीय ध्वज तिरंगा सं लपेटल हो, सेनाक जवान सहित तमाम लोकगण हुनका अपन सलामी दैत हो, माय-बापक संग-संग स्वयं जननी जन्म भूमि सेहो ओहि वीर सूपतकें अपना कोरामे लेवाक लेल हंसैत तैयार रहैत होइत त अहि सं बेसी गर्वक कि बात भए सकैत अछि।
    विकाश कुमार मिश्र पर नहि सिर्फ रैयाम अपितु संपूर्ण मिथिलावासीकें गर्व छन्हि। अमर शहीदकें मिथिला मिरर सेहो हार्दिक श्रद्धांजलि। विकाश मिश्र अमर रहे!