शराब पर रोक लगला सं बिहार मे बढ़ल दूध आ रसगुल्लाक मांग

    0
    566

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार मे शराबबंदी के बाद दूध आ रसगुल्लाक खपत बढ़ि गेल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बृहस्पति दिन कहलनि जे, बिहार मे शराबबंदी के बाद दूधक खपत मे 11 फीसदी जहन कि रसगुल्लाक खपत मे 16 फीसदीक इजाफा भेल अछि।

    गौरतलब अछि जे, शराबबंदीक पहिने नीतीश कुमार शराब विक्रेता सं शराबक जगह मिल्क पार्लर खोलबाक अपील केने छलाह। मुदा इक्का दुक्का दुकानदार अहि में रूचि देखेने छल। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मोतिहारी मे निश्चय यात्रा के दौरान एकटा रैली के संबोधित कय रहल छलाह।

    ओ एक बेर फेर कहलनि जे, लोकसभा चुनाव मे हमर विरोध करय वला के पता चलि जायत। बिहारक सब 40 सीट पर महागठबंधन के जीत होयात।गी.