सलमान खान संग सिल्वर स्क्रीन पर धमाल करती मिथिलाक बेटी

0
3329

बेगूसराय, मिथिला मिरर : मिथिलामे लगभग हरेक विधामे नव-नव प्रतिभा सभ उभरैत रहैत छथि। मिथिला सतत प्रतिभाकेँ धनिक रहल अछि। एकटा समय छल जखन बेटीकेँ लोक सभ बहुत बेसी छुट नै दैत एकटा सीमामे बान्हि दैत छलैथ। मुदा बदलैत समयकेँ संग हमर समाजमे सेहो परिवर्तन भेल। आब बेटा-बेटी दुनूकेँ बीच बहुत अंतर नै कएल जाइत अछि। दुनूकेँ समान अवसर देल जाइत छनि आ समयकेँ संग बेटी सभ सेहो अपन प्रतिभासँ समाजकेँ गौरवान्वित करैत रहैत छथि। बदलैत परिवेश संग बच्चा सभ नानान विधामे अपन करियर बना रहल छथि। एकटा समय छल जखन रंगमंचकेँ हमर समाज इज्जतक नजरिसँ नै देखैत छल। एहनोमे जँ बेटी एहि विधामे जाय समाज स्वीकार करबाक लेल तैयार नै छल। समय बदलल आब हमरो समाज एहि विधामे अपन बच्चाकेँ जेबाक अनुमति दैत छथि। एहने एकटा मिथिलाक धिया जे वर्तमान समयमे बॉलीवुडमे सक्रिय छथि हुनक नाम अछि नीतू सिंह। रंगमंचमे सक्रिय रहि चुकल नीतू मूल रुपसँ बेगूसरायकेँ रहय वाली छथि। नीतू सिंह आब बॉलीवुडक दबंग आ सुल्तानकेँ नामसँ मशहूर अभिनेता सलमान खान संग सिल्वर स्क्रीन पर अपन जलवा देखबैत नजरि औती। नीतू दबंग खानक संग एकटा विज्ञापनमे नजरि औती। एहि एड फिल्मक शूटिंग शुरू भ’ चुकल अछि। एहिसँ पहिने नीतू टीवी सीरियल आ विज्ञापनकेँ माध्यमसँ अपन प्रतिभाक परिचय द’ देने छथि।

डीडी वन पर चलि रहल सीरियल ‘मैं कुछ भी कर सकती हूं’ में नीतू वकील असिमाक लीड भूमिकामे छथि। फिल्मी दूनियाँक पैघ हस्ति सभक संग काज करय वालि नीतू बेगूसराय जिलाक पहिल बेटी छथि। बेगूसरायमे बहुत दिन धरि रंगमंचमे सक्रिय रहलाक बाद ओ मायानगरी मुंबई दिस रुख कएलनि। पकड़उआ बियाह पर आधारित सूली ऊपर सेज पिया की, हिंसा परमो धर्म, जट-जटिन, फंदी, तीसवीं शताब्दी, समझौता, आषाढ़क एक दिन सहित कतेकोँ नाटकमे अपन अभिनयसँ लोहा मनवा चुकल नीतू हिमाचल प्रदेशक मंडीमे सेहो अभिनयकेँ प्रशिक्षण प्राप्त केने छथि। सीरियलमे हुनक किरदार बहुत दमदार छनि।

अमिताभ बच्चन, शाहरुख आ अक्षय कुमार संग केने छथि काज

बेगूसराय स्टेशन रोड निवासी नीतू सिंह एहिसँ पहिने हिन्दी सिनेमाक महानायक अमिताभ बच्चन, शाहरुख खान आ अक्षय कुमार संग काज क’ चुकल छथि। नीतू बतौलनि जे सलमान खानकेँ संग एकटा विज्ञापनमे काज क’ रहलिह अछि। एहिसँ पूर्व अमिताभ बच्चन, शाहरूख खान आ अक्षय कुमारकेँ संग विज्ञापन फिल्ममे काज केने छथि। निविया क्रीम, बाघ बकरी चाय, टाटा मोटर्स, क्रेक, नेरोलेक पेंट सहित कतेको पैघ ब्रांड लेल एड फिल्ममे काज केने छथि। नीतू कहलनि जे ओ लगभग डेढ़ सौ विज्ञापनमे काज केने छथि।