सौराठमे भेल मिथिला चित्रकला संस्थानक शिलान्यास

0
1009

मधुबनी, मिथिला मिरर : मिथिलाक मिथिला पेंटिंग आई कोनो नामक मोहताज नै अछि बदलैत समयक संग मिथिला पेंटिंग भारत सहित विश्वमे अपन अलग पहिचान बना लेलक अछि। हरेक मिथिलावासीकेँ एहि उपलब्धि पर गर्व अछि। मिथिला पेंटिंगक विकासमे आओर एकटा उपलब्धि जुड़ी गेल मिथिला चित्रकारी संस्थानक स्थापना। मधुबनी जिलाक रहिका प्रखंडक सौराठ गाममे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आई एहि संस्थानक शिलान्यास कएलनि। शिलान्यासक बाद जनसभाकेँ संबोधित करैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि जे राजधानी पटनाक अधिकांश सरकारी कार्यालय मिथिला पेटिंगसँ सजाओल जायत। पटना हवाई अड्डाकेँ टर्मिनल बिल्डिंग पर सेहो मिथिला पेटिंग बनाओल जाएत। मिथिला चित्रकला संस्थानक भवन अगस्त 2020 धरि पूरा बनि क’ तैयार भ’ जायत। मिथिला चित्रकला संस्थानकेँ आर्यभट्ट ज्ञान विश्वविद्यालयसँ जोड़ल गेल अछि। मुख्यमंत्री कहलनि जे मिथिला चित्रकला संस्थानसँ सर्टिफिकेट कोर्स क’ रहल छात्र-छात्रा सभकेँ हरेक महिना एक हजार रुपैया स्टाइपेंड सेहो भेटत।
मुख्यमंत्री रहिका प्रखंड क्षेत्र स्थित संस्कृत उच्च विद्यालय, सौराठ परिसरमे सर्वप्रथम हस्तशिल्प प्रदर्शनीक उद्घाटन केलाह। एहिकेँ बाद सीएम भवन निर्माण निगमकेँ द्वारा तैयार कएल गेल मिथिला चित्रकला संस्थानक मॉडलकेँ निरीक्षण केलाह। मुख्यमंत्रीकेँ मधुबनी चित्रकला संस्थानक अवलोकनक ब्योरा जिलाधिकारी शीर्षत कपिल अशोक देलनि। एहि अवसर पर पंचायती राज मंत्री कपिलदेव कामत, पीएचईडी मंत्री विनोद नारायण झा, भवन निर्माण मंत्री महेश्वर हजारी, मंत्री कृष्ण कुमार सहित अनेको वरिष्ठ नेता मौजूद छलाह।

कार्यक्रमकेँ ल’ लोकसभमे बहुत उत्साह देखल गेल। निश्चित रुपे एहि संस्थानसँ प्रशिक्षण पाबि स्वरोजगारकेँ दिशामे पैघ योगदान भेटत एहन विश्वास कएल जा सकैत अछि। मिथिलावासी एहि लेल मुख्यमंत्रीकेँ धन्यवाद सेहो देलनि। लोक सभक कहब छनि जे सौराठमे मिथिला पेंटिंग संस्थान शुरू भेलासँ सौराठ सभाकेँ सेहो दिन फिरत। एकबेर फेरसँ सभा गाछी अपन पुरान स्वरूपमे आओत एकर संभावना बढ़ी गेल। बतादी जे पटनामे चेतना समितिकेँ द्वारा आयोजित विद्यापति पर्व समारोहमे सीएम नीतीश कुमार घोषणा केने छलाह जे सौराठमे जनवरी महिनासँ मिथिला चित्रकला संस्थानक भवन निर्माण कार्य शुरू भ’ जायत। लोक सभक एहन विश्वास छनि जे संस्थानकेँ एकटा प्रतिष्ठित आ सुविधासँ परिपूर्ण संस्थान बनाओल जायत। सौराठमे एहि संस्थानकेँ शुरू भेला पर एकर बजार आओर बढ़त आ क्षेत्रकेँ विकासमे सेहो महत्वपूर्ण भूमिका निभायत। लोकसभमे अपेक्षा बढ़ी गेल छनि संगहि रोजगारकेँ अवसर नजरि आबी रहल छनि।