सूचना प्रौद्योगिकी मंत्रीक घरमे 3G सपना, पोस्ट सं गंगाजल बंटवामे व्यस्त मंत्री

    0
    315

    दिल्ली-मिथिला मिररः एकरा विडंबना नहि त आओर कि कहला जा सकैत अछि जे देशक सूचना एवं प्रौद्योगिकी मंत्री रविशंकर प्रसादक गृह जिला पटनामे 3जी काज नहि करैत अछि। पटना देशक सूचना एवं प्रौद्योगिकी मंत्री रविशंकर प्रसादक गृह जिला नहि अपितु बिहारक राजधानी सेहो अछि। एक दिस देशक प्रधानमंत्री देश भरिक जनताकें नेट सं जोड़वाक स्वप्न देख रहला अछि, समस्त कागजात सं लए समस्त तरहक कार्य प्रणालीकें ई-कार्यप्रणाली बनेवाक जुगाड़मे लागल छथि मुदा दोसर दिस मंत्रीक घरमे नेट आ फोन कॉलक जे स्थिति अछि ओकरा शब्दमे बयान नहि कैल जा सकैत अछि।

    पटनाक वर्तामन स्थितिक जौं आंकलन करी त अपने कें भेटत कि भारत संचार निगम लिमिटेड (बीएसएनएल) एयरटेल, वोडाफोन, एयरसेल, टेलीनॉर, रिलायन्स सहित कोनो नेटवर्क पर जौं अपने कतौ फोन करी अथवा नेट पर काज करी त ओ सहज रूप सं नहि भए सकत। 3G केर दाम मे 2G आ ओहो अहि तरहें गोल-गोल घुमि अहांक मुंह दुसैत रहत जेकरा देखि कखनो काल कऽ एना लगैत अछि जे या त फोन कें चुइर कऽ कुड़ेदानमे डालि दी नहि त अपनहि माथ-कपार फोइर ली।

    26 मई 2016 कऽ केन्द्रक नरेन्द्र मोदी सरकार अपन 2 साल पूर्ण केलक। दिल्लीक इंडिया गेट पर 28 मई कऽ जोरदार कार्यक्रम राखल गेलैक जाहिमे सरकारक 2 सालक समस्त उपल्बधि कें जनताक सोंझा कैल गेल। सरकार सूचनाक विभिन्न माध्यम सं नानान तरहक विज्ञापनक माध्यम सं आमजन तक अहि बात कें पहुंचा रहल अछि मुदा दुःखक बात इ जे जमीन पर काजक जे अछि ओ जनताक सोंझा अछि। सर्वोच्च न्यायालयक निर्णयक बाद कॉल ड्रॉपक समस्या हद सं बेसी बढ़ि गेल छैक, ट्राई कें मनमानीकें रोकवामे सरकार आ संबंधित मंत्रालय असफल देखना जा रहल अछि मुदा सरकार अपन योजनाकें जनताक मध्य पहुंचेवाक लेल पूर्णरूप सं तैयार अछि।

    जाहि देशमे एखनो लोक 10 टकाक रिचार्ज कूपन लए अपन फोनक रिचार्ज करवावैत हो आ ओहो रिचार्जमे 2-3 बेर कॉल ड्रॉप भए जाय त एकरा की कहल जा सकैत अछि। सूचना प्रौद्योगिकी मंत्रालयक तहत आवै वला पोस्ट आॅफिसक जे स्थिति अछि ओ जनता नीक जेना जनैत अछि मुदा संबंधित मंत्रालयक एकटा नवका निर्णय बेस रास विवादकें जन्म देवाक लेल बहुत अछि। मंत्रालयक कहब अछि कि जे कियो व्यक्ति हरिद्वार आ ऋषिकेश सं गंगाजल मंगवौता त हुनका इ सुविधा पोस्ट ऑफिस मुहैया करवाओत, आ उक्त व्यक्तिकें पोस्ट ऑफिसक माध्यम सं गंगाजल घरतक पहुंचाएल जेतनि।

    एहन बात नहि अछि जे नरेन्द्र मोदीक सरकार नीक काज नहि कऽ रहल अछि मुदा जौं प्रौद्योगिकी मंत्रालयक मुखिया पटना सं होइथ आ पटनामे 3जी सहित मोबाइल आ इंटरनेट सेवा नीक सं काज नहि करय त फेर एकरा की कहल जा सकैत अछि। मधुबनी, दरभंगा, सीतामढ़, पूर्णिया, कटिहार, आरा, छपरा त दूर कें बात अछि लेकिन जौं राजधानी पटनाक हाल बेहाल हो त फेर बिहारी जनता केकरा लग गुहाइर करत? मेरा देश बदल रहा है, आगे बढ़ रहा है… इ बात विज्ञापन मे त बहुत नीक लगैत अछि मुदा वास्तविकता आ विज्ञापनमे बहुत अंतर होइत छैक।