इंटर साइंस आ आर्ट टॉपर पर लागल सवालिया निशानकेर बाद जांच केर आदेश

    0
    392

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहार इंटर मीडिएट परीक्षा परिणाम ऐलाक बाद नतीजा सं बेसी सुर्खीमे ओहिठाम साइंस आ आर्ट विषय सं टॉप केनिहार 2 गोट छात्र-छात्रा रूबी रॉय आ सौरभ श्रेष्ठ छथि। मीडियामे हिनका लोकनिक साक्षात्कार ऐलाक बाद जाहि तरहें बिहारक शिक्षा व्यवस्था पर सवाल उठल ओ त स्वभाविक छल। वैशालीक आर्ट टॉपर रूबी रॉय कें इ नहि पता छन्हि जे हुनकर परीक्षामे कतेकें परीक्षा हेइत छन्हि। 444/500 अंक अननिहाइर रूबी सं जखान पूछल जाइत छन्हि जे अहांक कुल परीक्षा कतेकें भेल त हुनकर जवाब छलनि 600, जखन हुनका सं विषयकें बारे मे पूछल गेलनि त कहली जे हिन्दी, इंग्लिस, ज्योग्राफी, म्यूजिक, प्रोडिकल साइंस।
    रिपोर्टर द्वरा पूछल गेला पर कि प्रोडिकल साइंस कि होइत अछि त ओहि पर रूबीक जवाब छलनि जे अहिमे खाना बनेनाई सिखाओल जाइत अछि। जखन रिपोर्टर कहलक जे तखन होम साइंसमे कि होइत छैक जाहि पर रूबी चुप्प भ गेलीह। ओमहर साइंस टॉपर, 485/500 अंक अननिहार हाजीपुर कें सौरभ श्रेष्ठ सं जखन हुनकर कामयाबीक राज पूछल गेल त ओहो अपन कामयाबी पर बहुत किछु बजलाह मुदा जखान हुनका सं साइंस सब सं हल्लुक सवाल इलेक्ट्रॉन तक कें विषयमे नहि बूझल छन्हि।
    मीडियामे इ साक्षात्कारकें सामने ऐलाक बाद चारू दिस एक बेर फेर सं बिहारक शिक्षा-व्यवस्था पर सवाल उठए लागल। अहि विषय पर सूबेक शिक्षा मंत्री अशोक चौधरी कहला जे टॉपर कॉपीक फेर सं जांच कराओल जा सकैत अछि। त बोर्डक अध्यक्ष लालकेश्वर सिंह कहला जे शिक्षा बोर्ड राज्यक साइंस आ आर्ट मे टॉप केनिहार 5 रैंक तककें टॉपरक इंटरव्यू करत जाहिमे मौखिकक संग-संग लिखिति परीक्षाक बादो अगर कोनो तरहक संदेह रहत त नव आ पूरान कॉपी केर मिलान सेहो कराएल जाएत। हालांकि अहि पूरा प्रकरण आ पैछला किछु साल सं बिहारक शिक्षा व्यवस्थामे एकटा नेताक स्कूल कथित रूप सं संदेहक घेरामे रहल अछि।