हेमचन्द्र झा’क भेटल ‘सुलभ समाज सेवा पुरस्कार’

    0
    304

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मैथिली साहित्यिक एवं सांस्कृतिक समिति आदर्शनगर, मधुबनी के अध्यक्ष डा. हेमचन्द्र झा के चेतना समिति पटना द्वारा सुलभ समाज सेवा पुरस्कार-2016 प्रदान कायल गेलन्हि। मैथिली भाषा एवं साहित्य केन्द्रित नियमित आयोजन एवं प्रकाशन द्वारा सामान्य लोक मे अप्पन भाषा एवं संस्कृति के प्रति चेतना जगेबाक लेल मैथिली साहित्यिक एवं सांस्कृतिक समिति के अध्यक्ष डा. झा के ई सम्मान बिहार सरकार के मंत्री विजेन्द्र प्रसाद यादव’क हाथे देल गेल।

    अहि मौका पर चेतना समिति के अध्यक्ष विजय कुमार मिश्र, पूर्व मंत्री रामलखन राम रमण, विनोद नारायण झा, समिति के सचिव उमेश मिश्र सहित कार्यकारिणी सदस्य उपस्थित छलाह। डा. हेमचन्द्र झा के पुरस्कार भेटला पर समिति के संरक्षक प्रो. कुलधारी साह पूर्व, सुरेन्द्र लाल दास, प्रो. सर्वनारायण मिश्र, प्रजापति ठाकुर, दिलीप कुमार झा, प्रो. दमनकांत झा, प्रो. भोगेन्द्र झा, प्रीतम निषाद, रेवती रमण झा़ इनद्रकांत झा, जीवछ झा, इन्द्रनाथ झा सहित दर्जनो गणमान्य हुनका बधाई देलनि।