ट्रेन सं गांजा’क संग तस्कर गिरफ्तार

    0
    278

    किशनगंज, मिथिला मिरर: रेलवे के किशनगंज स्टेशन स बुधदिन पुलिस गांजा के संग एकटा तस्कर के गिरफ्तार केलक अछि। रेल पुलिस सूत्रक अनुसार सूचना के आधार पर सशस्त्र सीमा बल आ रेल पुलिस संयुक्त रुप स न्यू जलपाईगुड़ी स मालदा जा रहल कंचनजंघा एक्सप्रेस ट्रेन के एकटा डिब्बा मे छापा मारिकय एकटा तस्कर के गिरफ्तार केलक अछि। तलाशी के दौरान पुलिस तस्कर के संग सं करीब चारि किलो गांजा बरामद केलक अछि।