विधानमंडल’क नव भवन के उदघाटन आय करताह मुख्यमंत्री

    0
    302

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार विधानमंडल के नव भवनक शनिदिन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार उदघाटन करताह। अहि के संग बिहार विधानमंडलक इतिहास मे एकटा नव अध्याय जुड़ि जायत। 400 करोड़क लागत स तैयार भेल विधानमंडल भवन खास अछि। नव भवन मे 550 लोकक बैसबाक व्यवस्था अछि, संगहि ऑडिटोरियम सेहो अछि। 300 लोकक क्षमता वला कांफ्रेंस हॉल आ 200 लोकक मीडिया हॉल अहि भवनक विशेषता अछि।

    नव भवन मे विधान सभा आ विधान परिषद के संयुक्त सत्र चलि सकत। नव भवन के ग्राउंड फ्लोर पर मुख्यमंत्री के कार्यालय के अलावा कमिटी कक्ष, पुस्तकालय आ कैफेटेरिया अछि। जहन कि पहिल तल्ला पर मंत्री के दफ्तर समेत प्रमुख नेता के बैसबाक स्थान अछि। विधानमंडल आ सचिवालय सीधा पुल-कॉरीडोर स जुड़ल अछि। नव भवनक हरेक ब्लाक मे अलग दू-दू टा सीढ़ि आ लिफ्टक व्यवस्था अछि। संगहि फाइल के अनबा लय जेबा लेल स्वचालित ट्राली एवं अन्य इलेक्ट्रानिक इंतजाम अछि।

    समारोह मे विधानसभा अध्यक्ष विजय कुमार चौधरी, विधान परिषद के सभापति अवधेश नारायण सिंह, नेता प्रतिपक्ष सुशील कुमार मोदी तथा प्रेम कुमार सहित सब मंत्री आ अधिकतर विधायक तथा विधान पार्षद मौजूद रहताह।