माम-भगिनीक संबंधकेँ कात कए बियाहक मंडप धरि पहुँचल प्रेमी युगल

    0
    284

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहारक समस्तीपुरमे एकटा अजीब बियाहक मामला प्रकाशमे आएल अछि। समस्तीपुर जिलाक विभूतिपुरमे मामा आ भगिनी बियाह कए लेलक। अहि चर्चा सं समुच्चा गाम आश्चर्यचकित अछि। सब मर्यादाकें कात कए प्रेमी युगल सामाजिक दबाव सं बचबाक लेल पुलिस स्टेशनक सहारा लय बियाह केलक अछि।

    सूत्रक अनुसार प्रेमी मामा राम बालक हैदराबादमे रेलवेमे नौकरी करैत अछि। ओ अपन भगिनीकें पढाई करेबाक लेल अपन संग लए गेल छल। मुदा दुनूक बीच प्रेम भए गेल। अहि बीच प्रेमी मामा रामबालककें कतहु दोसर ठाम बियाह परिवार द्वारा तय कय देल गेल। अहि बातक जानकारी जहन पूजाकें भेल त तिलकक रस्मके दिन प्रेमी मामाके घर जा ओकरा सं मिन्नत केलक। जहन मामा नहि मानलक त ओ विभूतिपुर पुलिसकें एकर सूचना देलक।

    लड़कीक सूचना बाद दुनू परिवारकें थाना बजाओल गेल आ फेर दुनु परिवारक सहमति सं पुलिसक मौजूदगीमे थाने परिसर स्थित मंदिरमे मामा आ भगिनीकें बियाह हिन्दू रीति रिवाज सं कराओल गेल।