‘नमामि मिथिला फाउंडेशनक’ नेतृत्वमे होएत मानव श्रृंखलाक निर्माण

    0
    328

    पटना, मिथिला मिरर: रविदिन साँझ 5 बजे ‘नमामि मिथिला फाउंडेशनक’ सानिध्यमे पटनाक गर्दनीबागमे एकटा विशाल मानव श्रृंखलाक निर्माण कएल जा रहल अछि। संस्थाक संरक्षक प्रभाष झाक अनुसार मानव श्रृंखलाकें अंग्रेजी अक्षर ‘H’कें रूपमे बनाओल जाएत। ‘H’ मानवताक संक्षिप्त अर्थ अछि। मानव श्रृंखलाक माध्यम सं संस्था ई संवाद देबए चाहैत अछि जे, मानव समाजक परिकल्पना बिना मानवता मिथ्या अछि।

    संस्थाक निदेशक डॉक्टर अविनाश कुमार एवं विकास झाकें अनुसार ‘H’ हेल्थकेयर या स्वास्थ्यक लेल सेहो बनाओल जाएत। अविनाश कुमारकेँ अनुसार ‘नमामि मिथिला फाउंडेशन’ आ ‘जन जीवक कल्याण संघ’ मानैत अछि जे, भारतकें विश्वक एकटा महाशक्तिके रूपमे उभारबाक लेल एकटा स्वस्थ समाजक भेनाइ अनिवार्य अछि। ओ कहलनि जे, सबकें स्वास्थ्य अधिकार चाही आ गाँम-गाँममे स्वास्थ्य मित्र।

    मानव श्रृंखलाक बाद दरभंगा अग्नि कांडमे मुइल मनोज चौधरीक आत्माक शान्तिकें लेल कैंडल मार्च निकालल जाएत।