सीतामढ़ीक जानकी मंदिरमे बधईयाक रस सं सराबोर भेल वातावरण

    0
    303

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: जानकी जन्मोत्सव पर बृहस्पति दिन जानकी मंदिरमे आस्थाक सैलाब उमड़ि पड़ल। भजन-की‌र्त्तनक संग बधईया गीत आ नाच-गानक क्रम चलैत रहल। पंचकोसी परिक्रमाक बाद माता जानकीक डोला जानकी मंदिर पहुंचतहि जय जानकी एवं जय सीतेकें जयकार सं मंदिर गुंजायमान भए गेल। जानकी मंदिरक पुजारी त्रिभुवन दूबे, त्रिलोक दूबे एवं परिक्रमा डोला सं मां जानकीकें उतारि कए गर्भगृहमे स्थापित केलनि।

    परंपरागत बधईया गीत सं जन्मोत्सवमे शामिल महिला-पुरुष श्रद्धालुकें नचबा पर मजबूर कए देलक। 11 बाजिकए 59 मिनट पर मंदिरमे घड़ी घंटा एवं शंखक ध्वनि सं मंदिर गुंजायमान होबए लागल। महंत बिनोद दास वृंदावन सं पधारि संत रामदास जी महाराज, नगर सभापति सुवंश राय, प्रख्यात लेखिका आशा प्रभात, एवं पौली चौधरीक संग बधईया गीत गाबए वला टोली एवं साधु-संतकें चादरि एवं चुनरी ओढ़ाकए सम्मानित केलनि।