हवादा-अमृतसर एक्सप्रेस सं भारी मात्रा मे शराबक संग एकटा तस्कर गिरफ्तार

    0
    565

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार मे लगातार भय रहल शराबक तस्करी के रोकबाक लेल बिहार पुलिस तस्कर के संग जूझि रहल अछि। शराब तस्कर एक स एक तरीका अपना रहल अछि त बिहार पुलिस सेहो शातिराना अंदाज मे तस्कर के पकड़बाक लेल जाल बिछा रहल अछि। जतय एक दिस बिहार सरकार सिना ठोकि कय कहि रहल अछि जे, जल्दिये शराब मुक्त बिहार बनि जायत त ओतहि शराबबंदीक उलंघन करय वला बाज नहि आबि रहल अछि।

    जगह-जगह शराबक तस्करी करबाक लय क पुलिस पूर्ण रुपे चौकस भय गेल अछि। जक्कनपुर पुलिस हावरा अमृतसर सं शराब आनय वला तस्कर के पकड़लक अछि। एसएसपी मनु महाराज के निर्देश पर भेल कार्रवाई मे एकटा शराब तस्कर भारी मात्रा मे शराबक बोतल संग गिरफ्तार कायल गेल अछि।