मधुबनी मे नकल करबा सं रोकला पर प्रिंसिपल के पीटल गेल

    0
    452

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी मे एकटा प्रिंसिपल के परीक्षा मे चोरी करबा सं मना केनाई महग पड़ि गेल। चोरी रोकबा सं तमसायल परीक्षार्थी प्रिंसिपल समेत कर्मचारीक जमिकय पिटाई कय देलक। अहि दौरान कॉलेज के प्रिंसिपल के गंभीर चोट लागल अछि। शिक्षक सब प्रिंसिपलक गाड़ी के सेहो क्षतिग्रस्त कय देलक। अहि के बाद आगजनी कय जमिकय प्रदर्शन केलक। आश्चर्यक बात त ई अछि जे, ई सब कियो और नहि जिलाक पंचायत शिक्षक छल। घटना मधेपुर के एचपीएस कॉलेज परीक्षा केन्द्रक अछि।

    परीक्षा के दौरान कदाचार कय रहल एकटा शिक्षिकाक कॉपी के प्रिंसिपल मेघन प्रसाद छीन लेलनि। अहि के बाद परीक्षा दय रहल दोसर शिक्षक हंगामा शुरु कय देलक। शिक्षक आरोप लगेलक अछि जे, प्रिंसपल महिला परीक्षार्थीक संग अभद्र व्यवहार केलक आ परीक्षा रूम स बाहर निकालि देलक, जाहि के कारण शिक्षक विरोध केलक। झंझारपुर एसडीओ दोषी पर कार्रवाई करबाक बात कहलनि अछि।