बिहार इंटरमीडिएट परीक्ष घोटाला के सरगना गिरफ्तार

    0
    279

    कोलकाता, मिथिला मिरर: बिहार इंटरमीडिएट परीक्षा घोटाला स जुड़ल रैकेटक सरगना के पश्चिम बंगाल स सीआईडी आ बिहार पुलिसक संयुक्त टीम द्वारा गिरफ्तार कायल गेल। गिरफ्तार कायल गेल आरोपी के घर स बहुतो महत्वपूर्ण कागजात सेहो बरामद कायल गेल।

    अहि मामला मे एखन धरि गिरफ्तार कायल गेल लोक स भेटल सूचनाक आधार पर मंगलदिन संयुक्त टीम दक्षिण 24 परगना जिलाक जिंजिंरा बाजार इलाका के विकास कुमार के गिरफ्तार केलक। पुलिस फिलहाल पूछताछ मे जुटल अछि। पूछताछक बाद और बहुत रास खुलासाक संभावना अछि।

    बताओल जा रहल अछि जे, घोटालाक पर्दाफाश भेलाक बाद पटना निवासी विकास कुमार पुलिसक शुरुआती जांच मे मदद केलनि। ताहि कारने पुलिस न हुनका सरकारी गवाह बना देलक। मुदा, आठ अगस्त क जहन गुजरातक प्रिटिंग कंपनी विकास पर 8.56 करोड़क घोटालाक केस दर्ज करौलक, तहन मामला नव मोड़ लेलक।