बेहाल अछि पशु चिकित्सालय, दबाई आ संसाधनक घोर अभाव

    0
    268

    मधुबनी, मिथिला मिरर: बिहार सरकार किसानक लेल सब संभव सहयोग देबाक दावा कए रहल अछि। पशुपालनक लेल योजनामे करोड़ो राशि देबाक बात बताओल जा रहल अछि। जाहि सं बिहारक किसान खुशहाल भए सकए। मुदा धरातल पर सरकारक पोल खुजैत देखा रहल अछि। सब सं खराप हाल पशु अस्पतालक अछि।

    हरलाखीकें दू टा पशु अस्पताल बंद अछि। गंगौर पंचायतक कमतौलमे अस्पताल बंद अछि। अस्पताल परिसर जंगलमे तब्दील अछि। जानकारीकें अनुसार अहि अस्पतालमे मात्र एकटा चिकित्सक प्रमोद कुमार आ चपरासी मो. शगीर अहमद प्रतिनियुक्त अछि।

    पशुपालक मो. उबैद, महेश यादव, सुरेश प्रसाद कुशवाहा, गुलाब प्रसाद समेत बहुतो लोक कहलनि जे, कहियो-कभार ई अस्पताल खुजैत अछि। आलम ई अछि जे, अस्पताल आय सं नहि बल्कि सालो सं बंद पड़ल अछि। जकरा देखय वला कियो नहि।