एक संग तीन गोट बम धमाका सं दहलि उठल भागलपुर के सैडिंस कंपाउंड

    0
    282
    भागलपुर, मिथिला मिरर: एक दिस जतय भागलपुर पुलिस अपराधी पर नकेल कसबाक लेल सब दिन अभियान चला रहल अछि, ओतहि अपराधीक मनोबल दिन प्रतिदिन बढिए रहल अछि। अपराधी पुलिस के चुनौती दैत सोमदिन साँझ मे शहरक हृदयस्थली सैंडिस कंपाउंड मे तीन गोट बम धमाका कय दहशत फैला देलक। अपराधी बम धमाका कय भागि निकलल। बम धमाका के बाद सैंडिस कंपाउंड मे साँझक सैर के लेल पहुंचल लोक मे अफरा-तफरी मचि गेल।
    बमबारीक सूचना पर थाना प्रभारी विजय चंद्र शर्मा पुलिस बलक संग मैदान पहुंचि कय मामलाक जानकारी लेलनि। पूरा मैदान के कोना-कोना पर पुलिसक जवान चेकिंग अभियान चलेलक। मैदान मे पुलिस बलक तैनाती कय देल गेल। जाहि जगह बम फाटल ओहि सं किछुए दूरी पर एसएसपी के आवास अछि।
    सूत्रक अनुसार अपराधी तीन ग्रुप मे आयल छल। तीनू कोन पर बम फेकल गेल छल। अहि घटना के बाद सब थानाक पुलिस चौक-चौराहां पर गश्ती बढ़ा देलक अछि। वाहनका चेकिंग शुरू कय गेल अछि। थाना प्रभारी कहलनि जे, बम फोड़य वला के हर हाल मे गिरफ्तार कायल जायत। चर्चा अछि जे, प्रेम-प्रसंग के लय क अपराधीक अलग-अलग गुट बमबारी केलक अछि।