बागमती छहर परियोजनाकें समर्थन आ विरोधमे उतरल ग्रामीण

    0
    263

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: गायघाट प्रखंडक शिवदाहा पंचायतकें महेशवाड़ा दुर्गा स्थान परिसरमे ग्रामीणक बैसक कएल गेल, जाहिमे बागमती बाध परियोजनाके समर्थनमे जान-माल बचाओ संघर्ष समिति’क गठन कएल गेल। शिवदाहा, बरूआरी, केवटसा आ लदौर पंचायतक अलावा कटरा प्रखंड आ दरभंगाक बहुतो पंचायतक लोक बाध निर्माण काजक समर्थन करैत कहलनि जे, बाध निर्माण काज रोक्ला सं पूरा इलाका जलमग्न भए जाएत।

    बाध निर्माणक समर्थनमे प्रखंड सं लय कय जिला मुख्यालय तक आदोलन करबाक घोषणा कएल गेल। 19 मार्च कए काज रोकबा आ मारिपीट मामलाक निंदा करैत निर्माण एजेंसीक सहयोग करबाक निर्णय लेल गेल।

    ओतहि, सर्वसम्मति सं रामभजन सिंह अध्यक्ष, वीरेंद्र प्रसाद यादव संयोजक, मुखिया अरुण पंडित, स्वराज सिंह समेत अन्यकें कार्यकारिणी सदस्य बनाओल गेल। एतय सरपंच सीताराम महतो, पूर्व जिला पार्षद शभू सहनी, संतोष कुंवर, शकर सिंह, शिवकुमार मंडल, शरतकिरण मिश्रा, रामउदार राय आदि सेहो मौजूद छलाह।