मधेपुराकें सुखासन पुल’क पाया घंसला सं वाहनक परिचालन ठप

    0
    626

    मधेपुरा, मिथिला मिरर: मधेपुरा-पतरघट मुख्य पथ’क आरपीएम कॉलेजकें समीप सुखासन पुलक बीचकें पाया धंसला सं वाहनक परिचालन पर रोक लगा देल गेल। पुलक दुनू दिस वाहनक लंबा कतार लागल अछि। फिलहाल लोक कोनो तरह नदी’क पार दोसर दिस जा रहल अछि। मुदा वाहन चालक लाचार भए वापस आबि रहल अछि।

    जिला प्रशासन पुलक दुनू दिस ईंटाक देबार जोड़बाक निर्देश देलक अछि ताकि लोक पुल पर होइत गुजरि सकए। ज्ञात हो कि कि अहि मार्ग सं लोक पतरघर, पस्तपार, अतलखा सहित अन्य जगह जाइत अछि। एतबे नहि मधेपुरा सं सड़क दर्जनों गामक लोक सेहो परेशान होइत अछि।