मधुबनीमे खाद्य सुरक्षा पदाधिकारी केलनि निरीक्षण

    0
    223

    मधुबनी, मिथिला मिरर-निशांत झा: होली पर्वक अवसर पर उपभोक्ता सबकें शुद्ध आ स्वच्छ खाद्य मुहैया करेबाक विभागीय मुहिम शुरू भए गेल अछि। अहि क्रममे खाद्य सुरक्षा प्राधिकारी अजय कुमार शुक्रदिन मुख्यालय स्थित विभिन्न बाज़ारक प्रतिष्ठान पर निरीक्षण आ छापेमारी केलनि।

    अहि क्रममे गिलेशन बाज़ारक विभिन्न खाद्य पदार्थक प्रतिष्ठान सं सरसो तेल, मैदा, चीनी, देशी घी, डालडा आ बेसनक नमूना संग्रह कय प्रयोगशालामे जाँचक लेल पठाओल गेल। अजय कुमारक अहि कार्यवाही सं व्यवसबहक बीच हड़कम्प मचल रहल। बहुतो व्यापारी अपन-अपन प्रतिष्ठान सं चलि गेल।