सरयु यमुना एक्सप्रेस सं विदेशी शराबक संग एकटा तस्कर गिरफ्तार

    0
    303

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहारक मुजफ्फरपुर रेलवे स्टेशन पर जीआरपी अवैध रूप सं आनल जा रहल विदेशी शराबक संग एकटा युवककें गिरफ्तार केलक अछि। गिरफ्तार युवक नरेश दरभंगाक रहय वला अछि।

    युवक सरयु यमुना एक्सप्रेस सं मुजफ्फरपुर पहुंचल छल। जांच अभियान चला रहल रेल पुलिस जहन ओकर बैग चेक केलक त ओहिमे शराब भरल छल। अहिकें अलावा जंक्शन परिसर सं लावारिस हालतमे 14 बोतल शराबक दोसर खेप सेहो बरामद कएल गेल। पुलिस गिरफ्तार युवककें जेल पठा देलक अछि।