अधिवक्ता अधिनियम संशोधन विधेयक 2017 कें निरस्त करबाक मांग लए वकीलक प्रदर्शन

    0
    294

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: लॉ कमिशन द्वारा अधिवक्ता अधिनियम संशोधन विधेयक 2017 कें निरस्त करबाक मांग जोर पकड़ने जा रहल अछि। अहिकेँ विरोधमे अधिवक्ताक चरणबद्ध आन्दोलन लगातार तेज होईत जा रहल अछि। प्रस्तावित काला कानूनकें निरस्त करबाक मांगके लए भारतीय विधिज्ञ परिषद् (बीसीआई) कें निर्देशानुसार तथा स्टेट बार काउंसिल पटनाक सहमति सं शुक्रदिन दरभंगा बार एसोसिएशनके अध्यक्ष रवि शंकर प्रसाद आ महासचिव कृष्ण कुमार मिश्रक नेतृत्वमे हजारो वकील समाहरणालयके समक्ष प्रस्तावित संशोधन वीलक प्रति जरेलनि।

    अध्यक्ष रविशंकर प्रसाद, महासचिव कृष्ण कुमार मिश्रक नेतृत्वमे अधिवक्ताक पांच सदस्यीय शिष्टमंडल संघ सरकारक विधि मंत्रीक नाम संबोधित 500 सं अधिक अधिवक्ताक हस्ताक्षर युक्त स्मार पत्र जिलाधिकारीकें सौंपलनि।

    जुलुसमे वरीय अधिवक्ता जीतेन्द्र नारायण झा, पूर्व पीपी विनय कुमार सिंह, राजीव रंजन ठाकुर, सत्य नारायण यादव, संतोष कुमार सिन्मुहा, मुरारी लाल केवट, शिवशंकर झा, अमरेन्द्र नारायण झा, विजय नारायण चौधरी, अंबर ईमाम हाशमी, सुभाष महतो, कुमार उत्तम, विजय कुमार चौधरी, रेखा कुमारी, अनीता आनंद, चंदा वर्मा, किरण कुमारी, वंदना वर्मा, बिनोद ठाकुर, प्रमोद ठाकुर, भवनाथ मिश्रा समेत हजारोक संख्यामे महिला आ पुरुष वकील शामिल छलाह।