नीतीश’क निश्चय यात्रा’क दोसर दौर कैल्ही सं, मिथिलांचलक करताह दौरा

    0
    318

    मिथिला मिरर: मुख्यमंत्री नीतीश कुमार’क निश्चय यात्राक दोसर चरण 16 नवंबर क शुरु होबय जा रहल अछि। दोसर चरण मे नीतीश कुमार तीनटा जिलाक यात्रा करताह। ई यात्रा 16 नवंबर सं 18 नवंबर तक चलत। दोसर चरण मे मुख्यमंत्री मधुबनी, दरभंगा आ समस्तीपुर यानि मिथिलांचलक दौरा करताह। दौराक क्रम मे नीतीश कुमार विभिन्न सेवा केन्द्रक जायजा लेताह तथा शराब बंदीक प्रति लोकक बीच चेतना सभा करताह।

    कार्यक्रम के मुताबिक मुख्यमंत्री’क ई यात्रा 16 नवंबर क मधुबनी, 17 नवंबर क दरभंगा आ 18 नवंबर क समस्तीपुर मे होयत। अहि के बाद ओ वापस पटना आबि जेताह। मुख्यमंत्री पहिल चरणक यात्रा मे बेतिया आ पूर्वी तथा पश्चिमी चंपारण के लोक सं भेंट केने छलाह।

    मधुबनी मे मुख्यमंत्री प्रोजेक्ट रहिका प्रखंड आ अप्पन ड्रीम प्रोजेक्ट निबंधन कार्यालयक निरीक्षण करताह। रिमोट माध्यम सं मुख्यमंत्री अहि प्रोजेक्टक उदघाटन दू महीना पहिने कय चुकल छथि, मुदा अहि प्रोजेक्टक काज एखन धरि पूरा नहि भेल अछि।