लहेरियासराय रेलवे स्टेशन पर ‘मिथिला विकास संघक’ धरना

    0
    267

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: मिथिला विकास संघ अप्पन पांच सूत्री मांगक लेल बृहस्पति दिन दरभंगा रेवले स्टेशन पर एक दिवसीय धरना देलक। आयोजित सभा के संबोधित करैत संघक संयोजक सुजीत कुमार आचार्य कहलनि जे, मिथिला के सब रेल प्रोजेक्टक प्रति रेलवे प्रशासन उदासीन बनल अछि आ जनप्रतिनिधि सेहो मूकदर्शक बनल छथि।

    अहि मौका पर उदय शंकर मिश्र कहलनि जे, कोशी महासेतु रेल लाईन यथाशिघ्र पूरा कय रेल परिचालन शुरू करबाक चाही। वरूण कुमार झा जयनगर आ नरकटियागंज तक रेललाईनक दोहरी करण के मांग केलनि। ओतहि विपिन कुमार चौधरी सकरी निर्मली रेललाईनक आमान परिवर्तनक बात केलनि। रामबाबू चौपाल पटना-दरभंगा के बीच सुपरफास्ट ट्रेनक मांग केलनि, त बालेन्दु झा यात्री सुविधागृह पर अवैध कब्जा पर सवाल उठेलनि।

    अहि मौक़ा पर कार्यक्रमक अध्यक्षता जीवन झा केलनि। रौशन झा, ज्ञानेश्वर राय, मिथिलेश सहनी, विकास आनंद, मोनू शशि, कौशल कुमार, राजेन्द्र ठाकुर, बाबू साहब आदि मौजूद छलाह। बाद मे पांच सूत्री मांगक लेल रेलमंत्री के नामक ज्ञापन स्टेशन अधीक्षक के सुपुर्द कायल गेल।