शराबबंदी के समर्थन मे मदरसा सं निकलल जागरूकता रैली

    0
    312

    दरभंगा, मिथिला मिरर-फखरे आलम: अलीनगर प्रखंड अंतर्गत शुक्रदिन राज्यव्यापी शराबबंदी के जन समर्थन मे मदरसाक छात्र एवं शिक्षक जागरूकता रैली निकालि लोक के जागरूक केलक। मदरसा फुर्कानिया बाघेला घाटक सब शिक्षक आ बच्चा धमसाइन, भघेला गाम मे जागरूकता अभियान चलेलक। जागरूकताक रैली के नेतृत्व मदरसा के प्रधान मोलाना इस्लामुद्दीन केलनि।

    अहि दौरान मोलाना इस्लामुद्दीन कहलनि जे, शराब स हमार समाज मे तरह-तरह बुराई पसरल छल, घर बर्बाद होइत छल। मुदा आब ऐना नहि होयत। ओ कहलनि जे, सरकार जे शराब बंदीक एलान केलक अछि तकर समर्थन मदरसाक शिक्षक आ छात्र हमेशा सं करैत अछि।

    ओ कहलनि जे, शराब बंदी के लय जन समर्थन मे मानव श्रंखला के कार्यक्रम मे मदरसाक शिक्षक आ छात्र बढ़ि-चढ़ि कय भाग लय एकटा तारीख बनाओत। जागरूकता अभियान मे मोहम्मद वसीम, मोहम्मद नूर आलम, अंजार अली, मदनी सहित बहुत रास शिक्षक आ छात्र भाग लेलक।