फेर भेल एमटीएस परीक्षाक पर्चा लीक

    0
    284

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: कर्मचारी चयन आयोगक मल्टी टास्किंग स्टाफ (एमटीएस) परीक्षाकें दोसर चरणक पर्चा सेहो लीक भए गेल। रविदिन प्रथम पालीक परीक्षा शुरू भेला सं करीब पौने घंटा पहिने परीक्षार्थीके संग उत्तर शीट आबि गेल। 10 बजे परीक्षा शुरू भेला सं पहिने सेंट जेवियर्स परीक्षा केंद्रमे प्रवेशक दौरान एकटा परीक्षार्थीक मोबाइलमे ई उत्तर शीट भेटल। शकके आधार पर मोबाइल जब्त कए परीक्षार्थीकें पुलिसक हवाला कए देल गेल। परीक्षार्थीक पहचान नालंदा जिलाक हिलसाके रवि कुमारक रूपमे भेल अछि।

    अहि मामलामे मिठनपुरा थानाध्यक्ष विजय प्रसाद राय कहलनि जे, परीक्षामे तैनात मजिस्ट्रेटके बयान पर प्राथमिकी दर्ज कएल गेल अछि। आरोपितकें जेल पठेबाक कवायद कएल जा रहल अछि। ओकर मोबाइल जब्त कएल गेल। बहुतो नंबरक जांच कएल जा रहल अछि। जाहि नंबर सं वाट्सएप पर उत्तर पठाओल गेल छल, ओकर छानबीन कएल जा रहल अछि। पुलिस अहि मामला सं जुड़ल मास्टरमाइंडक पता लगेबाक कोशिश कए रहल अछि।