‘नमामि मिथिला फाउंडेशनक’ नेतृत्वमे भेल मानव श्रृंखलाक निर्माण

    0
    327

    पटना, मिथिला मिरर: पटनाकें गर्दनीबागमे रविदिन ‘नमामि मिथिला फाउंडेशनक’ नेतृत्वमे मानव श्रृंखलाक निर्माण कएल गेल। संस्थाक संरक्षक प्रभाष झाक अनुसार मानव श्रृंखलाकें अंग्रेजी अक्षर ‘H’कें रूपमे बनाओल गेल। ‘H’ मानवताक संक्षिप्त अर्थ अछि। मानव श्रृंखलाक माध्यम सं संस्था ई संवाद देबए चाहैत अछि जे, मानव समाजक परिकल्पना बिना मानवता मिथ्या अछि।

    संस्थाक निदेशक डॉक्टर अविनाश कुमार एवं विकास झाकें अनुसार ‘H’ हेल्थकेयर या स्वास्थ्यक लेल सेहो बनाओल जाएत। अविनाश कुमारकेँ अनुसार ‘नमामि मिथिला फाउंडेशन’ आ ‘जन जीवक कल्याण संघ’ मानैत अछि जे, भारतकें विश्वक एकटा महाशक्तिके रूपमे उभारबाक लेल एकटा स्वस्थ समाजक भेनाइ अनिवार्य अछि। ओ कहलनि जे, सबकें स्वास्थ्य अधिकार चाही आ गाँम-गाँममे स्वास्थ्य मित्र।अहिकेँ लेल सब मिलीकय अहि सं संबधित पेटिशन लोकक बिचमे लए जाएत, आ करोड़ो लोककेँ अहि सं जोड़त।

    मानव श्रृंखलाक लेल बिहारक दूर-दूर सं आएल ग्रामीण चिकित्सक अपन सहभागिता निमेहलनि। विरिष्ठ अतिथि, परम्परा फाउंडेशनके संयोजक अशोक कुमार, दीपक फाउंडेशनके संयोजक दीपक झा आ सुपरस्पेशलिटी हॉस्पिटल पालिका विनय हॉस्पिटलके चेयरमैन डॉ. बी. झा आशीर्वचन देलनि तथा अहि मुहीमक जोरदार समर्थन केलनि।

    आयोजनक समापन मानव श्रृंखलाक बाद दरभंगा अग्नि कांडमे मुइल मनोज चौधरीक आत्माक शान्तिकें लेल कैंडल मार्च निकालि कए कएल गेल।