सुकमामे शहीद भेल सौरव सिंहक शहादतमे पहुँचलाह रामकृपाल यादव

    0
    394

    पटना, मिथिला मिरर: छत्तीसगढ़केँ सुकमामे भेल नक्सलीय हमलामे शहीद सौरव सिंहक शव आए पटना पहुँचल। मूलरूप सं दानापुरकें रहए वला सीआरपीएफकें जवान सौरभ सिंहक आए अंतिम संस्कार पैतृक स्थानमे संपन्न भेल।

    पाटलीपुत्र सं सांसद रामकृपाल यादव सहित बहुतो गणमान्य शहीदक अंतिम यात्रामे पहुँच कए अश्रुपूर्ण श्रद्धांजलि देलनि। अंतिम विदाईमे स्थानीय लोकक भारी भीड़ एकट्ठा भेल छल, जे सौरभ सिंह अमर रहें, भारत माता की जयकें नारा सं समुच्चा वातावरण गुंजयमान बना देने छल।