दरभंगा मे कला एवं विज्ञान मेलाक आयोजन

    0
    523

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगाक सारामोहनपुर स्थित डी.ए.वी पब्लिक स्कूल मे शनिदिन कला एवं विज्ञान मेलाक आयोजन कायल गेल। वतौर मुख्य अतिथि दरभंगा एयरपोर्ट के ग्रुप कैप्टेन दीपक नेलकर कार्यक्रम मे आयल छलाह। मेलाक लेल पूरा स्कूल परिसर के आकर्षक ढंग सं सजाओल गेल छल।

    स्कूलक बच्चा मेला मे स्वं निर्मित सामानक प्रदर्शनी सेहो लगाओल गेल, जे बहुत प्रेरणादायी आ मनभावन छल। प्राचार्या सविता राय मेलाक सफल संचालनक लल काफी सक्रिय छलीह। मेला मे भारी संख्या मे अभिभावक सेहो उपस्थित छलाह। मेलाक लेल बच्चा मे काफी उत्साह छल।