भाजपाक संकल्प पत्र, 10 रुपैयामे भरिपेट भोजनक वादा

    0
    279

    दिल्ली, मिथिला मिरर: पिछला दस साल सँ दिल्ली नगर निगममे सत्तासीन भारतीय जनता पार्टी जीतक हैट्रिक लगेबाक तैयारी कए लेलक अछि। यूपी विधानसभा चुनावक तर्ज पर भाजपा दिल्ली नगर निगम चुनावक लेल अपन संकल्प पत्र जारी केलक अछि। भाजपाक कहब अछि जे, हमार नेता सब दिल्लीक लोकक बीच जा कय लोकक परेशानीकें बुझबाक प्रयास केलनि अछि। ओहि सब बातकेँ ध्यानमे राखि कए संकल्प पत्र तैयार कएल गेल अछि।

    दिल्लीमे संकल्प पत्र जारी करैत दिल्ली प्रदेश भाजपा अध्यक्ष मनोज तिवारी दिल्लीकें विश्वस्तरीय बनेबाक वादा केलनि। मनोज तिवारी कहलनि जे, भाजपा निगममे वापस आओत त कोनो नब टैक्स नहि लगाओत। अहि तरहे भाजपाके संकल्प पत्रमे 10 रुपैयामे भोजनक प्रावधानकें सेहो बल देल गेल अछि। पार्टी दावा केलक अछि जे, सब वर्गकें ध्यानमे राखिकय संकल्प पत्र बनाओल गेल अछि।