हाथमे झाड़ू लए दिल्ली साफ़ करबाक प्रतिबद्धता देखेलनि केजरीवाल

    0
    249

    दिल्ली, मिथिला मिरर: निगम चुनावक लेल आम आदमी पार्टी रविदिन नब पोस्टर अभियान शुरू केलक। अहि अभियानके तहत पार्टी दिल्लीक सफाईके प्रति अपन प्रतिबद्धता जाहिर करबाक कोशिश केलक अछि। दिल्लीक प्रमुख सड़क पर लागल होर्डिंगके संग ऑटोमे सेहो लगाओल गेल अछि।

    पोस्टरमे स्वं केजरीवाल झाड़ू लगबैत देखल जा रहल छथि। ओतहि, अहिमे लिखल अछि जे, दिल्लीकें साफ करबाक लेल केजरीवालकें वोट दी। पार्टीक एकटा पदाधिकारीक कहब अछि जे, पार्टी दिल्लीक स्वच्छताके लेल एकटा योजना बनेलक अछि, जकरा घोषणा पत्रमे शामिल कएल जा रहल अछि। अहिमे ने सिर्फ स्वच्छताकें प्रमुखता देल गेल अछि, बल्कि सफाई कर्मीक लेल सेहो आकर्षक योजना अछि। अहिके मद्देनजरि अहि अभियानकें शुरू कएल गेल अछि।