दरभंगामे शोभायात्रा निकालबाक लेल हिंसक झड़प, 25 गोटे गिरफ्तार

    0
    267

    दरभंगा, मिथिला मिरर: बिहारक दरभंगामे शोभायात्रा निकालबाक लेल भेल विवाद बढ़ि गेल अछि। जिलाक बहेड़ा थाना क्षेत्रक हाविभौआड गाममे दू पक्षक बीच जमिकय भेल पत्थरबाजीमे लगभग आधा दर्जन लोक घायल भए गेल। आक्रोशित भीड़कें नियंत्रित करबाक लेल पुलिसकें लाठीचार्ज करय पड़ल। लाठीचार्जक विरोधमे उग्र लोक सब पुलिस पर रोड़ेबाजी शुरू कए देलक, जाहिमे बहुतो पुलिसकर्मी चोटिल भए गेल। पुलिस हिंसा पर उतारू भीड़कें हटेबाक लेल आंसू गैस छोड़ल।

    स्थिति तानवपूर्ण देखैत जिला पदाधिकारी डॉ.चंद्रशेखर सिंह, एसएसपी सत्यवीर सिंह, बेनीपुर डीएसपी अंजनी कुमार भारी संख्यामे पुलिस बलक संग कैंप कए रहल छथि।

    घटना शनिदिन साँझक अछि, जहन अहियापुर गाममे शोभायात्रा निकालबाक लए भीषण तनाव भए गेल। जिला पदाधिकारी डॉ. चंद्रशेखर सिंह कहलनि जे, बहेड़ा थानाक हावीभौआड़ गामक अहियारपुर टोलमे स्थिति नियंत्रणमे अछि। अहि मामलामे पुलिस 25 गोटेकेँ गिरफ्तार केलक अछि।