दहेज़क खातिर पुतौह के हत्या कय नदी मे फेंकलक

    0
    350

    बेगूसराय, मिथिला मिरर: बिहारक बेगूसराय मे दहेजक मांग पूरा नहि भेला पर एकटा महिलाक हत्या कय देल गेल। घटना बेगूसराय के बीरपुर थाना क्षेत्रक बैरपुरा गामक अछि।

    परिवार वला ससुराल पक्ष पर महिला के गला मे फंदा लगाकय निर्मम हत्या करबाक आरोप लगौलक अछि। महिलाक हत्या के बाद साक्ष्य मेटेबाक लेल लहास के बलान नदी में फेंक देल गेल। बाद मे लड़की के परिजन पुलिसक सहयोग सं लहास के खोजि क निकाललक।

    अहि मामला मे मृतकाक पति, साउस, ससुर, दियर आ ननैद समेत कुल आठ गोटे के नामजद अभियुक्त बनाओल गेल अछि। बेगूसराय के एसपी रंजीत मिश्रा अभियुक्तक गिरफ्तारीक लेल एकटा विशेष टीमक गठन केलनि।

    मृतका प्रियंका देवी समस्तीपुर जिलाक रैवाडी गामक रहय वाली छलीह। साल 2014 मे मृतिकाक विवाह भेल छल। विवाहक बड़े सं लड़की के दहेजक लेल प्रताड़ित कायल  छल।