युवकक मौत सं तमसाएल लोक केलक पुलिसकर्मीक पिटाई

    0
    285

    सुपौल, मिथिला मिरर: सुपौलकें भीमपुर थानाक्षेत्रमे बोलेरोक चपेटमे एला सं 2 गोट युवकक मौत भए गेल। हादसाक बाद बोलेरो चालक फरार भए गेल। गामक लोकक आरोप अछि जे, रुपैया लए पुलिस आरोपीकें छोड़ी देलक अछि। मौत सं तमसाएल लोक पहिने एनएच 57कें जाम केलक आ थानामे जाकए तोड़फोड़ करए लागल। ग्रामीण थानाक गाडीमे आगि लगा देलक।

    तमसाएल ग्रामीण थानाक कर्मचारीक पिटाई सेहो कए देलक। भीड़ अनियंत्रित देख थानाक सब कर्मी थाना छोड़िकए फरार भए गेल। अहि बीच लगभग 3 घंटा तक एनएच 57 पर दुनू दिस गाड़ीक लाइन लागि गेल। छातापुर थाना अध्यक्ष राजीव झा समेत बहुतो पुलिसकर्मी अहि घटनामे जख्मी भए गेलाह।

    आक्रोशित लोक मृतकके लहास लए सड़क पर आगजनी कए प्रदर्शन कए रहल छल आ मृतकके परिजनकें 5 लाखक मुआवजा आ एक गोटेकेँ नौकरीक मांग पर घंटों तक सड़क पर डटल रहल।