भारत बंदक दरभंगामें देखल गेल व्यापक असर

    0
    258

    दरभंगा, मिथिला मिरर : एससी/एसटी एक्टक अध्यादेशक खिलाफ नौ अगस्तकेँ बजाओल गेल भारत बंदक असर दरभंगा  देखबामे आबि रहल छल। जतय सड़कपर अन्हार पसरल छल, ओतय बेसी सरकारी कार्यालय, बैंक आ निजी संस्थानक अलाबे निजी आ सरकारी स्कूल बंद रहल। दरभंगा जिलामे कतेको जगह ट्रेने रोकल गेल आ अमूमन सभ मुख्य सड़क पर आवागमन बंद क’ देल गेल। एहि बंदकेँ एससी/एसटी एक्टसँ प्रभावित होयबला सभ समूहक समर्थन भेटल छल। बेसी सरकारी कार्यालय, बैंक, निजी संस्थानमे ताला लटकल भेटल संगहि लगभग सभ निजी आ सरकारी स्कूल बंद छल। भारत बंदक असर आंशिक रूपें मधुबनी, सुपौल आ मुजफ्फरपुरमे सेहो देखबामे आयल, मुदा पटना, हाजीपुर, वैशाली, सीतामढ़ीमे जनजीवन सामान्य दिन जकाँ देखल गेल।