जिनगीक जंग हारि गेलाह सुभाष

    0
    443

    मधुबनी, मिथिला मिरर : मधुबनी जिलाक बासोपट्टी प्रखंड अंतर्गत जोंकी गाम निवासी सुभाष कुमार झाक निधन बुधदिन 8 अगस्त भोरुकवामे भ’ गेलनि। 46 वर्षीय सुभाष बहुमुखी प्रतिभाक धनीक छलाह।  हुनक दूरदर्शिता आ गामक प्रति स्नेह निश्चित रूपेँ पूरा छतौनि पंचायतक लेल वरदान साबित भेल। अपन गाम, अपन समाज, अपन परंपरा आ अपन विचारधाराकें सदिखन महत्व दैत रहलाह। सुभाष झा  गामक विकास लेल अग्रिम सोचवाक कारण मात्र 28 सालक उमिरमे पहिल बेर मुखिया चुनल गेलाह। ओकरा बाद लगातार तीन बेर छतौनि पंचायतक मुखिया रहलाह। हुनक मित्र धमियॉपट्टी निवासी नागेन्द्र झा बतौलनि जे सन 2000मे जखनि युवा सभ अपन भविष्य बनेबाक लेल गामसँ शहरके दिस जायत छल मुदा श्री सुभास झा गाममे रहि समाजक लेल किछु करबाक योजना बनबैत छलाह। हुनक इ जुनून सही अर्थमे काबिले तारीफ छल। आगाँ कहलथि जे मात्र 46 सालमे सुभाष अपन जिनगीमे नित नव आयाम पबैत रहलाह मुदा भगवानक किछु आओर इच्छा छलनि।  आखिर कैंसरसँ पीड़ित भेलाक बाद ओ अपन जिनगीक जंग हारि गेलाह। सुभाष जीक असामयिक निधनसँ हुनकर सर-सम्बन्धी संग समस्त छतौनि पंचायत शोकाकुल अछि।  भगवान हुनकर आत्माकेँ शांति प्रदान करथुन।